हकार !
मैथिली भाषाक सभस' लोकप्रिय आ पैघ (लगभग 6 लाख सदस्य) फेसबुक समूह 'हम सभ मैथिल छी (We Are Maithils)' केर सफलतापूर्वक 10 वर्ष पूर्ण हेबाक उपलक्ष्यमे आयोजित सदस्य मिलन सह सांस्कृतिक कार्यक्रम में अपने सपरिवार सादर आमंत्रित छी 🙏🙏
दिन :: 16 जुलाई, 2023 (रवि दिन) 4 बजे स'
आइ मैथिली साहित्य महासभा द्वारा प्रकाशित "अपूर्वा" पत्रिकाक प्रति एकर संपादकद्वय श्री संजीव सिन्हा आ श्री उज्ज्वल झा भेट कयलनि। गुणवत्तापूर्ण पत्रिका लेल मैसाम आ संपादकद्वयकें हार्दिक बधाइ। संगहि मिथिलाक्षर लिपिक पोथी "मिथिलाक्षर ज्ञानमाला" लेल सिद्धिरस्तु संस्थाकें बधाइ।
भीख नहिं, अधिकार चाही!
हमरा मिथिला राज्य चाही!!
समग्र मैथिल समाज स' विनम्र निवेदन जे काल्हि 21 अगस्त (रवि दिन) 11 बजे दिल्ली केर जंतर मंतर पर पहुंची आ मिथिला राज्यक माँग केर समर्थन में आयोजित एतिहासिक धरना प्रदर्शनमें अपन सहभागिता सुनिश्चित करी🙏
हमहुँ अहांक संग उपस्थित रहब 🙏
धन्यवाद "मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश"
(मैथिलीक एकमात्र राष्ट्रीय दैनिक समाचार पत्र)
मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) द्वारा आयोजित 'आठम वार्षिक संगोष्ठी' क' समाचार प्रमुखता स' छापबाक हेतु.
सुनीत ठाकुर
अध्यक्ष
मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम)
कार्यक्रम लिंक👇
https://t.co/eHcv1qb2VA