दरभंगा जिलाक बिरौल मे सुपौल बाजा�� सब्जी मंडी स्थित पुल घाट पर लागय बला जाम सँ त्रस्त ग्रामीण लोकनि सड़क पर उतरि क' 'यूनिक स्टाइल' मे विरोध प्रदर्शन केलनि. असल मे गौंआ सभ बीच सड़क पर बैसि क' आलू आ परोर बेचय लगलाह.
#darbhanga #biraul #uniqueprotest #bigbreaking #samadiamedia
मधुबनी जिला मे बिहार सरकारक मंत्री अरुण शंकर प्रसादक काफिला पर हमला भेल अछि, जाहि मे मंत्री जीक गाड़ी क्षतिग्रस्त भ' गेल अछि. बताओल जा रहलैए जे घटना खजौली थाना क्षेत्रक ठाहर गामक अछ��, जतय सड़क दुर्घटना मे मृ'त्यु भेल एकटा युवकक परिजन सँ भेंट करए आ सांत्वना देबय पहुंचल छलाह
सीतामढ़ी मे मंत्री श्वेता गुप्ताक आवास परिसर मे प्रशासन बुलडोजर कार्रवाई केलक अछि आ एहि कार्रवाईक पाछूक उद्देश्य सरकारी जमीन पर कएल गेल कथित अवैध अतिक्रमण केँ हटाएब छल. से कार्रवाईक मे भारी पुलिस बलक तैनाती देखल गेल.
#sitamarhi#bulldozeraction#samratorder#samadiamedia